Bihar Board Blog

Class 10 Maithili VVI Subjective : गेस प्रश्न 2022

Class 10 Maithili VVI Subjective, Class 10 Maithili, Maithili VVI Question Class 10, maithili ka objective question, class 10th maithili book pdf, maithili objective question 2022, BSEB 10th Exam 2022 Maithili (मैथिली)


मैथिलि का अतिमहत्वपूर्ण गेस प्रश्न

कक्षा -10


(i) चन्द्रमुखी कथा अहाँ के केहन लगैत अछि ?

उत्तर :- ‘चन्द्रमुखी’ कथा अत्यन्त कारुणिक कथा थिक। कष्ट कटैत संतान के । पोसब, पढ़ा-लिखा ओकील बनाएब आ जखन सुखक दिन लगीच आएल तँ ओएह संतान अधलाह व्याधि सँ ग्रसित भए दोसर लोक लेल प्रस्थान कए जाइछ आ’ चन्द्रमुखी बौक बनि जाइत छथि। जखन बोली फुटैत छनि तँ कहैत छथि जे आब कथी लेल उपास आ ककरा लेल जगरना। मैथिली कंथा साहित्य मे स्व. मममोहन झा कारुणिक कथाक रचना मे सिद्धहस्त मानल जाइत छलाह मुदा लेखिका लिली रे ‘चन्दमखी कथा पदिई कहबा लेल बाध्य भए जाइत दी जे ओ मनमोहन झा सँ कनेको न्यन नहि छथि कारुणिक कथाक सृजनक मादे।


(ii) भारतक संविधान निर्माण मे हिनक भूमिकाक वर्णन करू।

उत्तर :- 15 अगस्त, 1947 ई. के जखन भारत स्वतंत्र भेल तँ डॉ. अम्बेदकर कांग्रेसनीत सरकार मे प्रथम कानून मंत्रीक कार्यभार ग्रहण कएलनि। 29 अगस्त के डॉ. अम्बेदकर भारतीय संविधान प्रारूप कमिटीक चेयरमैन नियुक्त भेलाह। हुनका ई भारत देल गेलनि जे ओ स्वतंत्र भारतक नव संविधान लिखथि। भारतीय संविधानक प्रारूप तैयार करए मे हुनका अपन सहयोगी आ समकालीन पर्यवेक्षण सभक प्रशंसा प्राप्त भेलनि। संविधान सभा मे 26 नवम्बर, 1949 के संविधानक स्वीकृति भेटि गेलैक। Class 10 Maithili VVI Subjective 


(iii) भारत छोड़ो आंदोलनक वर्णन करू।

उत्तर :- द्वितीय विश्वयुद्धक संग भारतीय स्वतंत्रता संग्रामक गति मे तीव्रता आबि गेल। 1942 ई. मे ‘अंग्रेज, भारत छोडू’ क नारा देल गेल। एहि मे अनेको निर्दोश जनता मारल गेल। अन्ततः अंग्रेज के भारत छोड़ए पड़लैक। 15 अगस्त, 1947 ई. के भारतवर्ष अंग्रेजक गुलामी सँ मुक्त भेल।


(iv) “शिवगीत’ अहाँ कैं की संदेश दैत अछि ?

उत्तर :- शिवगीत’ हमरा आत्मनिर्भर बनबाक संदेश दैत अछि। अपन आवश्यकताक पूर्ति लेल अनका पर आश्रित नहि रही। कोनो तुच्छ कर्म नहि करए लागी। भगवान हाथ-पएर देने छथि, मनुक्ख रूप में जन्म लेने छी तँ किऐ ने परिश्रम कए जीबी। खेती सेहो उत्तम कर्म थीक। ओहि सँ सम्पूर्ण संसारक लोकक उदरपूर्ति होइत छैक। एहि प्रकार शिवगीत’ मे स्वाभिमानक संग जीबोक संदेश भेटैत अछि।


(v) भरदुतिया पावनि भाइ-बहिनक स्नेहक पावनि थिक स्पष्ट करू।

उत्तर :- भरदुतिया पावनि मे बहिनक भाइक प्रति स्नेह आ भाइक बहिनक प्रति अपनापनक पावनि छी। भाइ बहिनक हेतु गाम सँ किछु ने किछु सनेश आनै छथि। बहिन दुभि धान, पान, मखान आ अक्षत् सँ हुनका नोति दीर्घायु होएबाक.भगवान सँ प्रार्थना करैत छथि। दुनूक एक दोसरक अनन्य प्रेमक प्रतीक थिक भरदुतिया पर्व।


(vi) एड्सक बचावक उपाय बताउ।

उत्तर :- एड्स सँ बचक लेल अनचिन्हार व्यक्तिक संग दैहिक सम्पर्क नहि रखबाक . चाही। संबंध स्थापित करबा सँ पूर्व ई निश्चित कए ली जे उक्त व्यक्ति एच. आइ. वी. सँ ग्रसित नहि हो। दोसर रक्त चढ़बाबए काल देखबाक चाही जे रक्त देनिहार व्यक्ति एच. आइ. वी. सँ पीड़ित नहि हो। तेसर दोसराक देल सिरीच सँ सइ नहि लेबाक चाही। तें सभ सँ उत्तम उपाय अछि जे चरित्रवान बनी।


(vii) विद्यापतिक रचना सँ परिचित कराउ।

उत्तर :-  विद्यापति तीन भाषा मे रचना कएल-संस्कृत, अवहट्ट आ मैथिली। संस्कृत मे हुनक प्रमुख कति निम्नवत् अछि-पुरुषपरीक्षा, विभागसार, लिखनावली आदि। अवहट्ठ मे लिखल हुनक दू गोट चम्पू काव्य अछि-कीर्तिलता आ कीर्तिपताका। मैथिली मे विद्यापति- विशाल गीराशिक रचना कएल। हुनक लिखल गीतशृंगारिक, भक्ति आ व्यवहार विषयक छनि। Class 10 Maithili VVI Subjective 


(viii) माँगन खबास संगीत साधक छलाह। विवेचना करू।

उत्तर :- मांगन खबास वास्तव मे संगीतक साधक छलाह। यद्यपि हुनका आधुनिक शिक्षा नहि भेटलनि तथापि ओ अपन लगन एवं परिश्रमक बल पर संगीत त भए गेलाह। देशक भिन्न-भिन्न स्थान पर आयोजित संगीत सम्मेलन सभ मे भाग लए मिथिलाक मान बढ़ौलनि। विभिन्न राजदरबार सँ सम्बद्ध रहलाह। ओ नीक जेकाँ धपद, धमार, दादरा, ख्याल, ठुमरी, विद्यापति गान आ लोकगीत गाबथि जाहि श्रोता मंगमग्ध भए जाथि। स्वर साधल आ भास, सम्हारल होइत छल। संगीत कलाक कोनो आयोजन प्रदर्शन हो, हिनक गायन, वाद्यवादन भाव भंगिमा अनि श्रोता आनन्दित भए जाइत छलाह। मिर्जापुर संगीत सम्मेलन (1932 ई.) मे इनकी स्वर्णपदक सँ सम्मानित कएल गेल। एतेक उपलब्धि एकटा कुशल संगीत साधके सँ संभव भए सकैत छल।


(ix) बाबा गिरगिट जकाँ रंगानहि बदलथि, अभिप्राय लिखू।

उत्तर :- बाबा के आचार आ विचार मे कोनो अंतर नहि छलनि ओ जैह बजैत छलाह सैह करैत छलाह। ओ गिरगिट जेना रंग नहि बदलैत छलाह। अर्थात् बाबा अपने सन सभके बुझैत छलाह। Class 10 Maithili VVI Subjective 


(x) चन्दा झाक अनुसार मिथिलाक चौहद्दी लिखू।

उत्तर :- चन्दा झाक अनुसार मिथिलाक चौहद्दी अछि-दक्षिणमे गंगा, पूबमे कौशिकी, पश्चिममे गण्डकी आ उत्तरमे हिमालय। चन्दा झाक शब्द मे गंगा बहथि जनिक दक्षिण दिश पूर्व कौशिकी धारा। पश्चिम बहथि गण्डकी उत्तर हिमवत बल विस्तारा।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *